सीतामढ़ी मे अगिलग्गी सं 24 गोट दोकान जरिकय खाक

    0
    200

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: शहरक बीचोबीच घना आबादी वला सिनेमा रोड वार्ड-16 मे रविदिन राति एक बजे नाश्ताक एकटा दोकान मे अचानक आगि लागि गेला सं आसपासक 24 गोट दोकान जरिकय खाक भय गेल। खोपड़ि तथा खपरैल घर मे चलि रहल प्रभावित दोकान मे अधिकांश ताड़ीक दोकान छल। बांकी दोकान मे आटा चक्की, किराना व साइकिल स्टैंड अछि।

    जानकारी के अनुसार, राति एक बजे सुरेश पासवानक नाश्ताक दोकान मे चूल्हा सं उठल चिंगारी सं आगि लागल। सूचना भेटलाक बाद नगर थानाध्यक्ष विशाल आनंद अग्निशमन पदाधिकारी के घटनाक जानकारी दय पुलिस बलक संग घटनास्थल पर पहुंचल। अग्निशमन विभागक चारि टा दमकल सेहो पहुंचल। थाना पुलिस व अग्निशमन दस्तक प्रयास सं आगि पर काबू पाओल गेल।

    अगिलग्गी मे लाखो रुपैयाक संपत्ति के नुकसान भेल अछि। डुमरा के अंचलाधिकारी संतोष कुमार रविदिन घटनास्थल पहुंचकय हालातक जायजा लेलनि। वार्ड पार्षद ललिता देवी पीड़ित परिवारक लेल भोजनक व्यवस्था करौलनि अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here