जीआरपी पुलिस मे चोरीक मामला दर्ज

    0
    270

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: वृहस्पति दिन जीआरपी पुलिस ट्रेन मे भेल चोरीक वारदात मामला मे अज्ञात चोरक खिलाफ मामला दर्ज केलक अछि। जीआरपी पुलिस थाना सं भेटल जानकारीक अनुसार सिकन्दराबाद-दरभंगा एक्सप्रेस (17007) के कोच संख्या एस-3 मे बर्थ नंबर 17 आ 20 पर मधुबनी जिलाक भवनाथ झा अप्पन पुत्री मीनू कुमारी’क संग बुधदिन रायपुर सं दरभंगाक लेल विदा भेल छलाह।मुदा यात्राक समय अगिला दिन भोर मे हुनक ट्राली बैग चोरी भय गेल छलन्हि।

    झा द्वारा जीआरपी थाना मे दर्ज कराओल गेल एफआईआर मे उल्लेख कैल गेल अछि जे, हुनक बैग धनबाद स्टेशन के आस-पास चोरी भेल अछि। जाहि मे सोनाक अंगूठी, बाली, 26 हजार रुपैयया, कपड़ा सहित बहुत रास शैक्षणिक कागजात छलन्हि। अहि बाबत पुलिस द्वारा बताओल गेल जे, चोरीक मामला दर्ज कय आवश्यक अनुसंधान कैल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here