दरभंगा’क केवटी मे भूमि विवाद मे पांच घायल

    0
    231

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा के केवटी थाना क्षेत्रक पाराडीह गाम मे शुक्रदिन भूमि विवादक लेल दू पक्षक बीच मारिपीट भेल, जाहि मे पांच गोटे घायल भय गेल। घायल मे राजेंद्र यादव के पत्नी हीरा देवी व पुत्री खुशबू कुमारी तथा आरती कुमारी के अलावा रामबहादुर यादव व पत्नी निरो देवी शामिल अछि।

    सब घायल के इलाजक लेल सामुदायिक चिकित्सा केंद्र रनवे-केवटी मे भर्ती कराओल गेल अछि। जतय सं नीरो देवी, हीरा देवी, रामबहादुर यादव तथा आरती कुमारी के प्राथमिक उपचार के बाद डीएमसीएच रेफर कय देल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here