अभ्यास मैच’क लेल ईशान किशन के भारत ए टीम मे चयन

    0
    197

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: बिहारक होनहार क्रिकेटर ईशान किशन के इंग्लैंडक खिलाफ एक दिवसीय आ टी-20 मैच सं पहिने होबय जा रहल दू गोट अभ्यास मैचक लेल भारत ए टीम मे शामिल कायल गेल अछि।

    ईशान किशन 12 जनवरी क इंग्लैंड के खिलाफ दोसर अभ्यास मैच मे अजिंक्य रहाणेक कप्तानी वला भारतीय ए टीमक हिस्सा रहताह। हुनका सलामी बल्लेबाजक रूप मे टीम मे शामिल कायल गेल अछि।

    ईशान के रणजी ट्रॉफी में शानदार प्रदर्शन के देखैत टीम मे जगह भेटल अछि। रणजी ट्रॉफीक वर्तमान सत्र मे ओ सर्वाधिक रन बनाबय वला बल्लेबाजक सूची मे 10’म स्थान पर छथि।

    ईशान पिछला साल अंडर-19 विश्वकप मे भारतीय टीमक कप्तानी कय चुकल छथि। ईशान आईपीएल मे गुजरात लांयस दिस सं खेलाइत छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here