सीतामढ़ी मे अधिक फीस वसूलबाक खिलाफ छात्रक हंगामा

    0
    199

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सीतामढ़ीक परसौनी प्रखंड मुख्यालय स्थित प्लस टू जनता उच्च विद्यालय मे बुधदिन छात्र सब जमिकय हंगामा केलक आ प्रबंधन के खिलाफ नारेबाजी केलक। छात्र इंटर आ मैट्रिकक फॉर्म भरबा मे कर्मचारी द्वारा मनमानी फीस वसूलबाक आरोप लगा रहल छल।

    छात्रक कहब छल जे, विद्यालय मे मैट्रिकक फॉर्म भरय वला छात्र सं 800 रुपैया वसूलल जा रहल अछि, जहन कि अहि के लेल निर्धारित शुल्क 580 रुपैया अछि। अहि तरहे इंटर के लेल निर्धारित 900 रुपैयाक जगह 1200 रुपैया वसूलल जा रहल अछि। विरोध करबा पर फॉर्म नहि भरय देबाक धमकी देल जाइत अछि।

    छात्र इऱफान आ राजन कुमार कहलनि जे, विद्यालय के अधिकांश शिक्षक पठन-पाठन के समय कार्यालय मे बैसि कय गप्प लड़बैत छथि। प्रभारी प्राचार्य विनोद कुमार झा लगातार विद्यालय सं गायब रहैत छथि, जाहि सं विद्यालयक शैक्षणिक माहौल ध्वस्त भय गेल अछि।

    स्कूल प्रभारी प्राचार्य अधिक फीस वसूली सं अनभिज्ञता जाहिर करैत कहलनि जे, जांच मे शिकायत सही पाओल गेला पर दोषी कर्मचारी के खिलाफ कार्रवाई कायल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here