दरभंगा मे 14 गोट ताला काटि कय ज्वेलर्स दोकान मे चोरी

    0
    205
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक जाले मे मंगलदिन राति थाना क्षेत्रक घोघराहा बाजार स्थित भूषण आजाद मॉर्केट कम्प्लेक्स स्थित जगदीश बर्तन एन्ड ज्वेलर्स नामक सोना-चांदीक दोकानक शटर के 14 टा ताला तोड़ि कय अज्ञात चोर दस हजार रुपैयाक जेवरात चोरी कय लेलक। अहि मामला मे दोकानदार सीतामढ़ी जिलाक पुपरी निवासी जगदीश प्रसाद अज्ञात चोरक विरुद्ध जाले थाना मे मामला दर्ज कराओल गेल।
    दोकानदार जगदीश प्रसाद कहलनि जे, दोकानक तिजोड़ी मे बेशकीमती आभूषण राखल छल, जाहि के एकटा कब्जा के चोर काटि देने छल, मुदा बांकी के तीन टा कब्ज़ा नहि कटल। ज्ञात हो कि मंगलदिन मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी मे राज्यपालक कार्यक्रम हेबाक कारण सीमावर्ती दरभंगा जिलाक जाले थाना पुलिस राति भरि गश्ती कय रोड पर तथा नाका के निगरानी मे छल।
    मामला मे थनाध्यक्ष आर. के. शर्मा तथा स. अ. नि. ब्रजेश पांडये संयुक्त रूप सं कहलनि जे, पुलिस अहि जारक मौसम मे गस्ती तेज अछि, बहुत पंचायत मे ग्राम रक्षा दलक गठन सोहो कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here