वैकल्पिक व्यवस्थाक भरोसे मधुबनी’क सदर अस्पताल

    0
    218
    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी सदर अस्पताल मे स्वच्छ जलापूर्तिक लेल पहल शुरू कय देल गेल अछि। अहि के तहत अस्पताल प्रबंधन द्वारा वार्ड मे नव पंप मोटर लगवाओल गेल अछि, त बहुत वार्ड के समरसेवल पंप सं कनेक्शन कय देल गेल अछि। ताकि स्वच्छ जलापूर्ति निर्वाध गति सं वार्ड मे कायल जा सकय।
    ज्ञात हो कि सदर अस्पताल परिसर मे जलापूर्तिक लेल पीएचइडी द्वारा वर्षो सं जलापूर्ति कायल जा रहल अछि। विगत बहुत दिन सं जलापूर्ति मे बालूक मात्रा अधिक हेबा सं मरीज सहित चिकित्सक के काफी परेशानी भय रहल छलनि।
    सदर अस्पताल परिसर के सीएस कार्यालय कक्षक समीप तथा प्रसव कक्ष के नजदीक विधायक मद सं दू गोट चापाकल लगाओल गेल अछि, ताकि मरीजक परिजन के परेशानी सं निजात भेट सकय।पीएचइडी विभागक कार्यपालक अभियंता के मोटर पंप के ठीक करेबाक लेल पत्र लिखल गेल अछि। वर्तमानक समस्या सं निजातक लेल वैकल्पिक व्यवस्था कायल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here