पूर्णिया मे अपराधिक निशाना पर जीविका कार्यकर्ता, एक गोटेक हत्या

    0
    191

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: पूर्णिया मे जीविकाक महिला कार्यकर्ता पर अपराधीक दबिश लगातार बढ़ल जा रहल अछि। हालहिं मे एहेन दू गोट मामला प्रकाश मे आयल अछि। 24 घंटा मे भेल दू गोट घटना मे एकटा जीविका कार्यकर्ताक जमीन विवाद मे हत्या कय देल गेल, जहन कि शराब भट्ठी तोड़य वला दू टा जीविका कार्यकर्ताक संग बदसलूकी कायल गेल।

    रघुवंशनगर ओपी के गोढ़ियारी टोलक 30 वर्षीय ललिता देवीक हत्या जमीन विवाद के कारण कय देल गेल। जकर लहास पुलिस गामक खेत सं बरामद केलक अछि। मुप्फस्सिल थानाक दीवानगंज मे दू गोट जीविका कार्यकर्ताक संग मारिपीटक मामला दर्ज कायल गेल अछि।

    अहि मामला मे पुलिस शिकायत दर्ज कय पीड़ित जीविका कार्यकर्ता आ परिजनक सुरक्षा देबाक पहल केलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here