मध्यमा सं परीक्षा दय वला विद्यार्थी परेशान, आठ महिना बादो नहि आयल परीक्षाक परिणाम

    0
    238

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार संस्कृत शिक्षा बोर्डक परीक्षाक परिणाम एखन धरि नहि जारी कायल गेल अछि। जाहि सं मध्यमा सं परीक्षा दय उतीर्ण भय आगुक पढाई करबाक उम्मीद लगौने छात्र सब माँथ हाथ देने अछि। ज्ञात हो कि परीक्षा 4 अप्रैल 2016 कय भेल छल, जकर परिणाम आठ महिना बितलाक बादो नहि आयल अछि।

    बिहार संस्कृत शिक्षा बोर्ड सं अधिकांश ओ विद्यार्थी परीक्षा दैत अछि जे, ग्रामीण बच्चा बिहार बोर्ड सं पास नहि कय पबैत अछि। विद्यार्थीक 1 साल अहिना ख़राब नहि हो ताहि कारने मध्यमा मे पास भय आगू पढ़ाई करबाक लेल विद्यार्थी मध्यमाक चुनाव करैत अछि।

    एहेन स्थिति मे बोर्ड समय सं परिणाम नहि जारी कय विद्यार्थीक आगुक पढाई बाधित करैत अछि। सरकार के अहि दिशा मे ध्यान दैत मध्यमा बोर्ड के हालात सुधार दिस ध्यान देबाक जरुरत अछि, जाहि सं संस्कृत बोर्ड पर लोकक विश्वास बनल रहय।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here