मधेपुरा मे 2 गोटेक गोली मारिकय हत्या, सड़क कात मे भेटल लहास

    0
    201

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: बिहारक मधेपुरा जिलाक सदर थाना क्षेत्र मे शनिदिन दू गोट युवक के गोली मारि कय हत्या कय देल गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार, सदर थानाक तुलसीबाड़ी के समीप अपराधी दू गोटे के गोली मारि कय हत्या कय देलक।

    दुनूक लहास सड़क कात मे भेटल। भोरे टहलबाक लेल निकलल लोक सड़क कात मे दूनू लहास के देखलक। सदर थाना प्रभारी मनीष कुमार शनिदिन कहलनि जे, मृतकक पहचान विशुनपुर गाम निवासी राजीव कुमार आ मलान गाम निवासी संजीत कुमार के रूप मे कायल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, घटनास्थल पर दूनू कोन काजे आयल छल, एकर पता नहि चलि सकल अछि। पुलिस पूरा मामलाक छानबीन कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here