लड़कीक पाछु कय रहल मनचला युवक के परिजन केलक धुनाई

    0
    277
    अहि बातक शिकायत पर लड़कक संग परिजन सेहो कनी दूर पर चलि रहल छल। ओतहि बदमास लड़का सब सेहो लड़कीक पाछु कय रहल छल। गंगापुर कुम्हारटोलीक समीप लड़कीक घरवला युवक के पकड़ि लेलक आ जमि कय पिटाई कय देलक। घटनाक सूचना पर ताजपुर पुलिस मोरवा पहुंचल आ दूनू मनचला के अपना संग थाना लय गेल। दूनू युवक मुफ्फसिल थाना क्षेत्रक बिक्रमपुर बांदे गामक रहय वला अछि।

    जानकारी के अनुसार मनचला द्वारा एक महिना सं छात्राक पाछु कायल जा रहल छल। उक्त दूनू युवक ओहि कोचिंग के छात्र बताओल जा रहल अछि, जाहि मे लड़की पढ़ैत अछि। छेड़खानी करबाक आरोप पर दूनू युवक सं कोचिंग मे सेहो बॉन्ड भरवाओल जा चुकल अछि। अहि घटना के लय ताजपुर थाना प्रभारी कहलनि जे, पीड़ित छात्राक परिजन द्वारा लिखित आवेदनक आधार पर दूनू मनचला युवक पर क़ानूनी करवाई कायल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here