हत्याक मामला मे भाजपाक दबंग विधायक नीरज कुमार बब्लू पर प्राथमिकी दर्ज

    0
    190

    सुपौल, मिथिला मिरर: बिहारक सुपौल जिला मे भेल दोहरा हत्याकांड मे भाजपाक दबंग विधायक के नाम सामने आयल अछि। हत्याकांड मे दू गोट युवकक लहास भेटलाक बाद छातापुर के विधायक नीरज सिंह बब्लू पर मुकदमा दर्ज कायल गेल अछि।

    जानकारी के अनुसार दूनू मृतकक लहास पुलिस रेतक ढेरीक नीचां स बरामद केने छल। सूत्रक अनुसार दूनू मृतक यानि सोनू सिंह आ हिमांशु मिश्रा 16 दिसंबर क जेल स निकलल छल। अहि के बाद 24 दिसंबर क दूनूक हत्या करबाक बाद लहास के गायब कय देल गेल छल।

    हत्याकांड के बाद परिजन केस दर्ज करैत विधायक नीरज, वीरपुर नगर परिषद के चेयरमैन समेत 15 आरोपी के नामजद केलक अछि। जिप अध्यक्ष रंजू देवी अहि मामला मे वीरपुर थाना मे केस दर्ज करौलनि अछि।

    मामला मे जहन विधायक नीरज बब्लू स बात कायल गेल त ओ अपना के निर्दोष बताबैत कहलनि कि बेटाक बिछड़बाक दुःख मे परिजन के मानसिक आघात लगलनि अछि। अहि कारण हमरा खिलाफ मामला दर्ज कराओल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here