मधुबनी मे गैस सिलेंडर फटला सं लागल आगि

    0
    215
    मधुबनी, मिथिला मिरर: नगर थाना क्षेत्रक लक्ष्मीसागर भौआड़ा मोहल्ला मे रविदिन भोर मे एकटा  सिलेंडर फाटि गेल। जाहि सं लागल आगि स घर मे राखल सब सामान जरि कय खाक भय गेल। ओतहि, एसबेस्टसक छत पूर्ण रूप सं क्षतिग्रस्त भय गेल। घटना मे करीब चारि लाखक संपत्ति के क्षति हेबाक अनुमान अछि।
    जानकारी के अनुसार, हनुमान पांडेय के पत्नी मीना देवी घर मे खाना बना रहल छली। अहि दौरान अचानक सिलेंडर मे आगि लागि गेल। आगि लगितहि मीना देवी घर स भागि गेली। धीरे-धीरे सिलिंडर मे लौ तेज भेल, जाहि सं पूरा घर मे आगि लागि गेल।
    जा धरि अगल-बगल के लोक के घटना के विषय मे पता चलैत, टा धरि आगि भयंकर रूप लय लेने छल। अहि बीच तेज आवाजक संग सिलेंडर फाटि गेल। जाहि मे एसबेस्टसक छत उड़ि गेल।प्रत्यक्षदर्शि के अनुसार, सिलेंडर फटबाक आवाज एतेक तेज छल जे लागल जेना भूकंप आबि गेल।
    घटना स्थल पर स्थानीय लोक सिलेंडर फटबाक बाद आगि के मिझेबा मे लागि गेलाह। जा धरि फायर बिग्रेडक गाड़ी मौका पर पहुंचैत, टा धरि आगि पर काबू पाबि लेल गेल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here