दरभंगा कॉलेज आॅफ इंजिनियरिंग के आठम वर्षगांठ पर कार्यक्रमक आयोजन

    0
    246
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा कॉलेज आॅफ इंजिनियरिंग मे आठम वार्षिकोत्सवक आयोजन धूमधाम सं कायल गेल। अहि मौका पर प्रमंडलीय आयुक्त डॉ. आर. के खंडेलवाल, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा, जिलाधिकारी चंद्रशेखर सिंह सहित अन्य अतिथी भाग लेलनि।
    अहि मौका पर आयुक्त खंडेलवाल कहलनि जे, छात्र के अप्पन प्रतिभा निखारबाक लेल संघर्ष करबाक चाही। ओतहि कुलपति प्रो. कुशवाहा नैनो टेक्नोलॉजीक विस्तार सं चर्चा केलनि। जिलाधिकारी डॉ. सिंह थ्री इडियट फिल्मक उदाहरण दैत छात्र के नसीहत देलनि। अहि मौका पर छात्र सब बहुतो कार्यक्रम प्रस्तुत केलनि। ओतहि ग्रेविटीहेड विनायक झा छात्रक ग्रेविटीक जानकारी देलनि। 
    कॉलेज के संस्थापक वीसी झा कॉलेज स्थापनाक संबंध मे सांगोपांग चर्चा केलनि। अहि के अलावा 14 छात्र के प्रमाण पत्र वितरित कायल गेल, जाहि मे मो. गुलफराज, मो. नवाब, राजीव, सन्नीकांत तथा पल्लवी कुमारी शामिल छली।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here