मुजफ्फरपुर मे हत्याक विरोध मे आगजनी आ हिंसा

    0
    267

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर मे अपराधी एकटा जनप्रतिनिधि के पति’क हत्या कय देलक। घटना रविदिन साँझक अछि, जतय अपराधी अहियापुर मे पंचायत समिति सदस्यक पति राघो सिंहक हत्या कय देलक।

    हत्या के बाद इलाकाक लोक मे काफी आक्रोश छल। स्थानीय लोक शहबाजपुर पंचायत भवन मे लहास राखि कय हत्याराक गिरफ्तारी नहि होबय धरि शवदाह नहि करबाक निर्णय लेलनि। लोक मौका पर डीएम आ एसएसपी के बजेबाक मांग कय रहल छल।

    अहियापुर थाना के करीब लगातार दोसर हत्या सं लोक तमसायल छल। लोकक साफ आरोप अछि जे, पुलिसक लापरवाही सं अहि इलाका मे अपराधी व्यापारी आ जन प्रतिनिधी के निशाना बना रहल अछि।

    हत्याक विरोध मे अहियापुरक सब व्यवसायिक प्रतिष्ठान के लोक बंद रखने अछि। इलाकाक किछु लोक सड़क पर उतरि गेल अछि। युवक जीरो माईल सं दरभंगा जाय वला सड़क पर बवाल शुरु कय देलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here