मुजफ्फरपुर मे चपरासी’क नाम पर चारि टा खाता खोलि सफदे कायल गेल 13 करोड़ रुपैया

    0
    237

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: नोटबंदीक कारण देश भरि मे चलि रहल छापेमारी मे करोड़ो रुपैया बरामद कायल जा चुकल अछि। ताजा मामला बिहारक मुजफ्फरपुर के मिठनपुरा थानाक अछि। प्राप्त जानकारीक अनुसार पटनाक आयकर विभाग के टीम मुजफ्फरपुर के कारोबारी राज कुमार गोयनका आ अशोक गोयनका के ओतय छापा मारलक।

    गोयनका बंधु पर अप्पन चपरासी कुणाल के नाम पर 4 टा अलग-अलग फर्जी खाता स करीब 13 करोड़ कालाधन के सफेद करेबाक आरोप अछि। पटना आयकर विभाग के दू टा अधिकारी दुपहर मे मुजफ्फरपुर पहुंचि कय मामलाक जांच पड़ताल केलक। दूनू संयुक्त रूप सं पूजाा ज्वेलर्स, कांते सेल कॉरपोरेशन आ पूजा ट्रेजिंग कंपनी चलबैत अछि।

    पूछताछ मे चपरासी कुणाल कुमार अप्पन नाम पर खाता हेबा सं इंकार कय देलक। कुणाल दूनू मालिक पर मिठनपुरा थाना मे धोखधड़ीक प्राथमिकी दर्ज करौलक अछि। आयकर अधिकारी अहि मनी लॉंड्रिंगक केस बतबैत प्रवर्तन निदेशालय के जानकारी दय देलक अछि। नोटबंदीक बाद मनी लॉंड्रिंगक उत्तर बिहार के ई सब सं पैघ मामला मानल जा रहल अछि।

    कुणाल प्राथमिकी मे कहलक अछि जे, ओ चारि साल सं सं प्रतिष्ठना मे नौकरी कय रहल अछि। मालिक हमरा सं बहुतो प्रमाणप्रत्र आ तस्वीर लेने छल। बैंक खाता आ 13 करोड़क ट्रांजेक्शन के जानकारी हमरा आयकर अफसरक पूछताछी के दौरान भेटल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here