मिथिला विश्वविद्यालय मे अव्यव्स्थाक खिलाफ ‘एमएसयू’ केलक आंदोलन

    0
    330

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा बृहस्पति दिन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे व्याप्त अव्यवस्थाक खिलाफ 11 सूत्री मांग के लय धरना प्रदर्शन कायल गेल। धरना प्रदर्शन कार्यक्रमक शुरुआत विश्वविद्यालय के चौरंगीक समीप आम सभाक आयोजन करैत कायल गेल। जतय छात्र सब विश्वविद्यालयक व्यवस्थाक खिलाफ रोष जताबैत एक स्वर मे यूनियनक मांग के सन्दर्भ मे अप्पन आवाज बुलंद केलक।

    धरना प्रदर्शनक नेतृत्व यूनियनक विद्या भूषण राय कहलनि जे, विश्वविद्यालय मे नियमित वर्ग आ कक्षा सञ्चालन कायल जाय, यदि विश्वविद्यालय प्रशासन हमार 11 सूत्री मांग पर कार्रवाई नहि करैत अछि आ छात्र हितक हनन विश्व विद्यालय प्रशासन करैत रहल त हम अग्रेतर आंदोलन करबा पर बाध्य भय जायब।

    ओतहि यूनियन के बिहार प्रभारी अविनाश भारद्वाज छात्र अधिकारक विषय मे बतौलनि। संगहि ओ कहलनि जे, आबय वला महीना मे संस्था विभिन्न माध्यम सं छात्र के जागरूक करत, विवि मे व्याप्त कुव्यवस्था के सुदृढ़ करबाक लेल कुलपति पर दबाव बनाओत। विवि प्रभारी अमित ठाकुर कहलनि जे, विवि अन्तर्गत सब कॉलेज मे छात्र सम्बन्धी मूलभूत सुविधाक लेल एकजुट होयब। कार्यक्रमक संचालन यूनियन के सेनानी मृत्युजय ठाकुर केलनि। आ धन्यवाद ज्ञापन करैत गणपति मिश्रा सब छात्र के एक जुट भय कुप्रबन्धनक खिलाफ संघर्ष करबाक आह्वान केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here