डीएमसीएच कर्मी कें अप्पन जेबी सं भरय पड़त बिजली बिल

    0
    247
    दरभंगा, मिथिला मिरर: डीएमसीएच कर्मी के आब मुफ्तक नहि, अप्पन जेबी सं बिजली बिल भरय पड़त। अहि के लेल डीएमसीएच अधीक्षक डॉ संतोष कुमार मिश्र विद्युत विभागक कार्यपालक अभियंता के पत्र लिखलनि अछि।
    संतोष मिश्र कार्यपालक अभियंता के लिखल पत्र मे कहलनि जे, न्यू नर्सेंज हॉस्टल, मेन नर्सेस हॉस्टल, मुस्लिम नर्सेस हॉस्टल, तृतीय व चतुर्थ वर्गीय कर्मीक क्वार्टर मे लागल बिजली कनेक्शन के अविलंब काटि देल जाय। अधीक्षक पत्र मे स्पष्ट लिखलनि जे, उक्त स्थान पर लागल बिजली कनेक्शन के अविलंब काटल जाय। ओतहि, जाहि कर्मी के बिजली कनेक्शन लेबय के छन्हि, ओ अप्पन आवेदन अधीक्षक कार्यालय के माध्यम सं विभाग के देथि।
    बिजली विभाग उक्त कर्मी के क्वार्टर मे नब कनेक्शन देत। अहि के लेल क्वार्टर मे रही रहल कर्मी के अप्पन जेबी सं बिजली बिलक भुगतान करय पड़त। अधीक्षक कहलनि जे, पिछला महीना सेहो विद्युत विभाग के पत्र लिखल गेल छल, मुदा विभाग दिस सं एखन धरि अहि दिशा मे कार्रवाई नहि भेल अछि।
    ज्ञात हो कि डीएमसीएच के तमाम क्वार्टर मे कर्मी तथा नर्स वर्षों सं मुफ्तक बिजली जरा रहल अछि। एतबे नहि, कर्मी एकर मनमाना तरिका सं दुरूपयोग सेहो करैत अछि। अधीक्षकक अहि कार्रवाई सं कर्मी मे निराशा अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here