बेगूसराय जिलाधिकारी तथा पुलिस अधीक्षक के न्यायालय मे हाजिर हेबाक आदेश

    0
    209

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: उच्च न्यायालय आपराधिक जमानत आवेदनक सुनवाई करैत जिलाधिकारी आ पुलिस अधीक्षक के लापरवाही के देखैत दूनू के न्यायालय मे उपस्थित भय शो कॉज देबाक आदेश देलक अछि। ज्ञात हो कि गैंगरेप मामलाक नाबालिग आरोपित नावकोठी थाना के देवपुरा निवासी किशोर अप्पन जमानतक लेल उच्च न्यायालय मे आवेदन दाखिल केलक अछि। अहि मे उच्च न्यायालय पुलिस सं केस डायरीक मांग केने छल, मुदा पुलिस अधीक्षक समय पर केस डायरी न्यायालय मे नहि पठेने छल।

    पिछला 18 महीना सं आरोपित मुंगेर बाल सुधार गृह मे बंद अछि। केस डायरी नहि भेटलाक कारण नाबालिग के जमानत याचिका पर सुनवाई मे देरी भय रहल अछि। विदित हो कि किशोर न्यायालय पुलिस अधीक्षक के उच्च न्यायालयक आदेशक आलोक मे केस डायरी भेजबाक लेल पत्र पठा चुकल छल। अहि के बावजूद केस डायरी न्यायालय मे समर्पित नहि भेल अछि। अहि कारने उच्च न्यायालय लापरवाही पर बेगूसराय पुलिस अधीक्षक आ जिलाधिकारी एवं वेलफेयर सचिव बिहार सरकार के न्यायालय मे उपस्थित भय शो कॉज देबाक आदेश देलक अछि।

    ज्ञात हो कि आरोपित किशोर पर 12 सितंबर 2015 क भगवानपुर थाना अंतर्गत गेहुनी गाछीक समीप एकटा नाबालिग लड़कक संग अन्य आरोपितक संग मिली कय गैंगरेप करबाक आरोप अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here