मुजफ्फरपुर मे चंदा नहि देला पर छात्राकें दौड़ा-दौड़ा कय पीटलक

    0
    183

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिलाक बीआरए बिहार विवि मे स्थिति दिनो-दिन बिगड़ैत जा रहल अछि। एखन सरस्वती पूजाक नाम पर चंदा लेबाक लेल हॉस्टल के छात्रक मनमानी के सिलसिला चलि रहल अछि। बुधदिन मैथ विभागक पीजी फर्स्ट सेमेस्टरक किछु छात्रा जहन हॉस्टल पीजी थ्री’क छात्र के चंदा देबा सं मना केलक त हॉस्टलक छात्र छात्रा के दौड़ा-दौड़ा कय पिटलक। बीचबचाव करय गेल किछु छात्र के सेहो पीटल गेल। मैथ विभागक एचओडी डॉ विद्यापति कुमारक संग दुर्व्यहार कायल गेल। एचओडी अहि बातक प्राथमिकी विवि थाना मे दर्ज करौलनि अछि।

    दुर्व्यवहार सं आक्राेशित मैथ एचओडी फोन पर पूरा मामलेलाक जानकारी आइजी के देलनि। अहि के  विवि पुलिस दोषी छात्रक किछु नहि कय सकल। हॉस्टलक छात्र घटना के अंजाम देबाक बाद आसानी सं निकलि गेल। विवि थानाध्यक्ष गिरजेश कुमार कहलनि जे, एचओडी के आवेदन पर पीजी हॉस्टल थ्री’क अज्ञात छात्रक खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कय लेल गेल अछि, तथा जांच शुरू कय देल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here