7’म वेतनमान देबाक कवायद तेज़, वेतन आयोग समिति गठित

    0
    223

    पटना, मिथिला मिरर: राज्यकर्मी के सातम वेतन आयोगक अनुशंसाक लाभ देबाक लेल राज्य सरकार राज्य वेतन आयोगक गठन केलक अछि। ई निर्णय बुधदिन कैबिनेटक बैसक मे लेल गेल। राज्यक पूर्व मुख्य सचिव रहि चुकल जीएस कंग के एकर अध्यक्ष बनाओल गेल अछि।

    वित्त विभागक सचिव राहुल सिंह’क सदस्य सचिव आ ग्रामीण कार्य विभागक सचिव विनय कुमार के सदस्य नियुक्त कायल गेल अछि। कैबिनेट सचिव ब्रजेश मेहराेत्रा कहलनि जे, ई आयोग राज्य सरकार के तीन महीना मे रिपोर्ट देत। केंद्र सरकार अप्पन कर्मी के लेल एक जनवरी, 2016 के प्रभाव सं सातम लाभ देबाक निर्णय कय चुकल अछि।

    राज्य सरकार अप्पन कर्मी के केंद्रीय वेतन आयोगक अनुशंसाक लाभ देबाक लेल आयोग गठन केलक अछि। आयोगक गठन करबाक संग ई तय कायके ल गेल अछि कि अध्यक्ष जीएस कंग के वेतन समेत अन्य लाभक निर्णय बाद मे लेल जायत। ओतहि, आयोगक दूनू सदस्यक विभाग के कामकाजक अलावा अतिरिक्त कार्य के रूप मे वेतन आयोग के काज करत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here