समस्तीपुर सं कालाबाजारीक लेल राखल चारि हजार बोरा अनाज जब्त

    0
    194

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे पुलिस छापेमारी कय भारी मात्रा मे कालाबाजारी करबाक लेल राखल अनाज के जब्त केलक अछि। जिलाक मथुरापुर ओपी क्षेत्रक नागर बस्तीक गोदाम मे डीएसपी’क नेतृत्व मे भेल छापेमारी मे करीब 4000 बोरा सरकारी अनाजक बरामदगी कायल गेल। पुलिस अहि छापेमारी मे सैकड़ो बोरा गहूंम आ चाउरक अलावा खाली बोरा सेहो जब्त केलक अछि।

    अहि दौरान गोदाम मे काज कय रहल आठ गोट मजदूर के सेहो गिरफ्तार कायल गेल अछि। गोदाम मे अनाज स भरल बोरा के जप्त कय छानबीन कायल जा रहल अछि जे, सरकारी अनाज गोदाम धरि कोना पहुंचल आ अहिमे कोन-कोन लोक शामिल अछि।

    देश मे खाद्य सुरक्षा कानून लागू हेबाक बाद सरकार गरीब धरि तीन रुपैया किलो चाउर आ दू रुपैया किलो गहूम उपलब्ध करेबाक लेल अरबो रुपैया सब्सिडी दय अनाजक आपूर्ति करैत अछि, मुदा ई अनाज जरूरतमंद धरि पहुंचबाक बजाय कालाबाजारी के गोदाम मे पहुँचि जैत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here