मोबाईल दोकान मे चोरी, सीसीटीवी मे कैद भेल चोर

    0
    219

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा जिलाक सिंघवाड़ा थाना क्षेत्रक सिंघवाड़ा बाज़ार मे पेट्रोल पंप के समीप स्थित दीक्षा ऑटोमोबाइल मे रविदिन राति चोरी भय गेल। सूत्रक अनुसार चोर खिड़की तोड़ि कय दोकान मे प्रवेश केने छल।

    पूरा घटनाक दोकान मे लागल सीसीटीव कैमरा मे कैद भय गेल अछि। दोकान मालिक सुजीत राय कहलनि जे, दोकान के भीतर लगभग एक लाखक चोरी भेल अछि। दोकान मालिक सीसीटीवी फुटेज के संग सिंघवाड़ा थाना में प्राथिमिकी के लेल आवेदन देलन्हि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here