‘विद्यापति मिथिला विकास समिति’ द्वारा ‘विद्यापति समारोहक’ आयोजन आय

    0
    246
    दिल्ली, मिथिला मिरर: विद्यापति मिथिला विकास समिति द्वारा रविदिन दिल्लीक किराड़ी (नागलोई) मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन कायल जा रहल अछि। अहि बाबत आयोजन समितिक अध्यक्ष प्रणव कुमार झा कहलनि जे, समारोह मे मिथिलाक राजनीति, समाजिक, सांस्कृतिक आ पत्रकारिताक क्षेत्र के जानल-मानल हस्तीक मौजूदगी रहत।
    कार्यक्रम मे मुख्य अतिथि के रूप मे केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह, पूर्व केंद्रीय मंत्री शकील अहमद, पूर्व सांसद महाबल मिश्रा, सांसद प्रभात झा तथा मंत्री मदन मोहन झा उपस्थित रहताह। संगहि विशिष्ठ अतिथि के रूप मे मधुबनी मुखिया संघक अध्यक्ष कृपानन्द झा आजाद, हरलाखी विधायक सुधांशु शेखर, आप विधायक ऋतुराज झा, संजीव झा सहित बहुतो गणमान्य मौजूद रहताह।
    समारोह मे सांस्कृतिक कार्यक्रमक मंचन मैथिली के सुप्रसिद्ध गायक गायिका अंजू झा, माधव राय, प्रेमसागर झा, अंकिता झा, धनिक लाल मंडल, धीरज मिश्रा, मंजरी झा के संग मंच संचालन गंगाराम झा आ सुनील मिश्रा द्वारा कायल जायत। कार्यक्रमक शुरुआत दुपहर के 2 बजे सं होयत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here