पीएनबी’क कैश वैन सं भारी मात्रा मे शराब बरामद, दू गोटे गिरफ्तार

    0
    200

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: शराबबंदीक एते दिन बादो दरभंगा मे शराबक तस्करी रुकि नहि रहल अछि। आब इमरजेंसी सेवाक लेल उपयोग होबय वला वाहन सं सेहो शराबक तस्करी होबय लागल अछि।

    शनिदिन करीब साढ़े ग्यारह बजे दरभंगा पुलिस बेंता ओपी के समीप पंजाब नेशनल बैंक के कैश वैन सं 165 लीटर हरियाणा निर्मित रॉयल स्टैगक बोतल बरामद केलक अछि। पुलिस वैन के जब्त कय दू गोटेके हिरासत मे लय लेलक अछि। फिलहाल गिरफ्तार व्यक्ति सं पूछताछ कायल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here