बेनीपुर मे विकास काज नहि भय रहलक अछि : पूर्व विधायक गोपालजी ठाकुर

    0
    233

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक बेनीपुर मे प्रस्तावित विधुत पावर ग्रीड बेनीपुर मे बनेबाक लेल सरकारी भूमिक कोनो कमी नहि अछि। उक्त बात मंगलदिन भाजपाक पूर्व विधायक गोपालजी ठाकुर पत्रकार के संबोधन मे कहलनि। ठाकुर कहलनि जे, बेनीपुर मे भूमि नहि हेबाक बात महज एक राजनीतिक साजीस अछि।

    ओ एस डीओ अमित कुमार स भेंट कय जमीनक स्थल निरिक्षण कय ग्रीडक लेल एनओसी उपलब्ध करेबाक बात कहलनि। संगहि ओ विश्वनाथपुर फरदाहा मे आई टी आई के लेल सेहो जमीन उपलब्ध करेबा के लेल एस डी ओ सं कहलनि। अहि के अलावा ओ तरौनी करबा पूल सन परिहार तक नाला निर्माण कार्य, बिकुपटी एव पोहदी महीनाम मे पूलक निर्माण कार्य नहि हेबा पर खेद प्रगट केलनि।

    ओ कहलनि जे, धरौरा सझुआर मौजमपुर मिलल्कि पथ मे तीन करोड़ 60 लाख रुपैयाक निकाशी भय चुकल अछि परंतु ओहि सं नालाक निर्माण नहि भय सकल अछि। ओ कहलनि जे, एक महिनाक भीतर यदि अहि मे सुधार नहि भेल त 20 जनबरी क भाजपा कार्यकर्ता उग्र आन्दोलन करात।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here