मिथिला राज्य निर्माणक समर्थन लेल सांसद राम कुमार शर्मा कुशवाहा के देल गेल ज्ञापन

    0
    441

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बृहस्पति दिन बीरबल यादव के नेतृत्व मे एकटा तीन सदस्यीय टीम सीतामढ़ी’क सांसद राम कुमार शर्मा कुशवाहा के सदन आ अपना संसदीय क्षेत्र दुन्नु ठाम मिथिलाराज्यक मांगक अपेक्षित समर्थन आ सहयोग हेतु एकटा लिखित ज्ञापन देलनि।

    ज्ञापन पर कुशवाहा सदन आ क्षेत्र दुन्नु ठाम मुद्दाक समर्थन करबाक बात पर अप्पन सहमति देलन्हि आ कहलन्हि जे हम सदन मे अहि मांगक समर्थन निश्चित रूप सँ करब। मिथिलाराज्य बनै ताहि सँ बेसी गौरव के बात की होयत। ज्ञापन दैत काल बीरबल यादव के संग रणजीत लाल दास आ रोहित यादव सेहो छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here