मधुबनी मे तीन गोट विद्यालय’क प्रधानाध्यापक सहित सचिव पर प्राथमिकी दर्ज

    0
    216

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिला पदाधिकारी के पत्रांक 1234 के अलोक मे तथा संबंधित विभागक निर्देश के अलोक मे हरलाखी प्रखंडक शिक्षा पदाधिकारी तीन विद्यालय के प्रधान शिक्षक तथा विद्यालय सचिव पर प्राथमिकी दर्ज करौलनि अछि।

    हरलाखी थाना मे देल गेल आवेदन मे ओ जिला पदाधिकारी मधुबनी तथा सर्व शिक्षा अभियानक द्वारा विद्यालय के लेल राशि उपलब्ध करवाओल गेल छल। अहि के वाबजूद ई सब आधा-अधूरा भवनक निर्माण करबौने छल। जाहि के देखैत प्राथमिक विद्यालय महादेव पट्टी, प्राथमिक विद्यालय कसेरा तथा उत्क्रमित मध्य विद्यालय पिपरौनक प्रधान शिक्षक, वित प्रभारी आ सचिव पर प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here