मधुबनी समाहरणालय तथा कार्यालय प्रभार मे फेरबदल

    0
    267

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी समाहरणालय एवं संबद्ध कार्यालय तथा प्रशाखा के प्रभार मे संशोधन कायल गेल अछि। आवश्यक कार्यक निर्बाध गति सं निष्पादन करबाक लेल नव स्तर सं प्रभारी पदाधिकारी व वरीय पदाधिकारी नामित कायल गेल अछि। पदाधिकारी के पदोन्नति, स्थानांतरण-पदस्थापन के कारण कार्यहित मे प्रशासनिक कार्यक वितरण जिला पदाधिकारी गिरिवर दयाल द्वारा कायल गेल। विभिन्न प्रशाखा व कार्यालय के प्रभारी पदाधिकारीक अनुपस्थिति मे संबंधित प्रशाखा व कार्यालय के प्रभारी पदाधिकारी के रहताह, से स्पष्ट कय देल गेल।

    जिला विधि प्रशाखा, जिला विकास शाखा, शहरी विकास अभिकरण, बैंकिंग, नोडल पदाधिकारी पर्यटन एवं शिक्षा व विद्युत कोषांग, आरटीपीएस, स्वास्थ्य विभाग पदाधिकारी, जिला विधि प्रशाखा तथा जिला बाल विकास शाखा प्रभारी पंकज कुमार गुप्ता के बनाओल गेल। ओतहि जिला पंचायत राज शाखा, जिला स्थापना, पेंशन कोषांग प्रभारी अरविन्द्र कुमार झा के बनाओल गेलनि।

    निदेशक-लेखा प्रशासन एवं स्व-नियोजन, डीआरडीए, निदेशक-राष्ट्रीय नियोजन कार्यक्रम, जिला जन शिकायत कोषांग, एनसीएलपी-प्रभारी डीपी-ब्रज बिहारी भगत। जिला नीलाम पत्र-विनोद कुमार व जिला राजस्व शाखा-जनक कुमार। जिला अभिलेखागार, जिला सामान्य शाखा-सिनेमा व शस्त्र समेत, जातीय आधारित जनगणना-सत्य प्रकाश। जिला गोपनीय प्रशाखा- नवीन कुमार व ब्रज बिहारी भगत। जिला नजारत शाखा- नवीन कुमार व जिला आपदा प्रबंधन-उपेन्द्र पंडित। जिला सामाजिक सुरक्षा कोषांग- शंभू कुमार रजक तथा जिला सांख्यिकी शाखा प्रभार आनंद प्रकाश के देल गेल।

    ओतहि जिला कोषागार, जिला भविष्य निधि प्रभारी सत्य नारायण पासवान, जिला लेखा प्रशाखा-नवीन कुमार व जिला निर्वाचन शाखा-बिनोद कुमार तथा लोकायुक्त कोषांग, जिला लोक सूचना कोषांग व जिला सैनिक कल्याण प्रभारी उपेन्द्र पंडित के बनाओल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here