सीतामढ़ी मे एसबीआई’क एटीएम सं निकलल दू हजारक जाली नोट

    0
    256

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहारक सीतामढ़ी जिला मुख्यालय के डुमरा स्थित एसबीआई के एटीएम सं दू हजार रुपैयाक जाली नोट निकलबाक मामला सामने आयल अछि। घटना रविदिनक अछि। ग्राहक अहि बातक शिकायत मंगलदिन बैंक अधिकारी सं केलनि, जाहि के बाद एटीएम सील कय देल गेल।

    हालांकि बैक अधिकारी अहि मामला के खारिज कय रहल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, डुमरा के लगमा गाम निवासी पंकज कुमार बैंकक एटीएम स रविदिन दू हजार रुपैया निकालने छल। बाद मे बाजार मे खरीददारी करबा समय पता चलल जे दू हजारक नोट फोटो स्टेट के जरिये स्कैन कायल गेल अछि।

    गौरतलब अछि जे, अहि सं पहिने सेहो मीडिया मे नव जाली नोटक खबररि आयल छल। पंजाब के रहय वला ममेरे भाई-बहन 2 हजार रुपैया के चारि करोड़ कीमत के जाली नोट छपने छल। आ मार्केट मे चला रहल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here