चंडीगढ़ सं सेहो मिथिलाराज्यक नारा भेल बुलंद

    0
    319

    दिल्ली, मिथिला मिरर: चंडीगढ़ के वार्ड चुनाव मे सेक्टर 45 के वार्ड नम्बर 14 केर उम्मीदवार सचिन्द्र कुमार मिथिलांचल मुक्ति मोर्चा के समर्थन पर चुनाव लड़ि रहल छथि। सचिन्द्र कुमार विगत रविदिन अप्पन वार्डक जनता के बीच जेबाक लेल एकटा रैली’क आयोजन केने छलाह, जकर मुख्य उदेश्य मिथिलाराज्यक निर्माण लेल लोकक समर्थन जुटेनाय छल। अहि रैलीक लेल दिल्ली सं बीरबल यादव, रणजीत लाल दास आ रोहित यादव मुख्यरूप सं आमंत्रित छलाह।

    सूत्रक अनुसार, रैली’क नेतृत्व बीरबल यादव केलैन्ह आ क्षेत्र के जनता सं सचिन्द्र कुमारक लेल वोट’क संग मिथिलाराज्य पर समर्थन सेहो मंगलन्हि। मिथिलाराज्य पर उम्मीदवार सचिन्द्र कुमारक संग-संग हुनक सैकड़ो समर्थक एक्के संग हुंकार भैरि क अप्पन समर्थन देलाह आ रैली’क दौरान मिथिलाराज्य के समर्थन मे जगह-जगह नारेबाजी आ पोस्टरबाजी सेहो भेल।

    अहि रैली मे बीरबल यादव, रोहित यादव, रंजीत लाल दास, सुचिन्द्र कुमार, अमित वर्मा, विजय यादव, राम सुफल यादव, जयराम शर्मा, ललित महतो, शीतल प्रसाद सिंह, गंगा प्रसाद महतो के संग संग सैकड़ो समर्थक शामिल छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here