भागलपुर पुलिसक गुंडागर्दी, प्रदर्शनकारीकें बर्बरताक संग दौड़ा-दौड़ा क पीटल गेल

    0
    210

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे एक बेर फेर पुलिसक उग्र रूप मे आयल अछि। भागलपुर जिला कार्यालय के प्रांगण मे जिलाध्यक्ष सं न्याय मांगबाक लेल पहुँचल सुल्तानगंज के भूमिहीन पर पुलिस जमि कय लाठी बरसेलक। पुलिस वृद्ध, महिला सब के दौड़ा-दौड़ाकय पीटलक तथा महिलाक कपड़ा फाड़ल गेल। घटनाक्रम मे दू दर्जन सं अधिक लोक जख्मी भय गेल। पुलिस छह गोट आंदोलनकारी के हिरासत मे लेलक अछि।

    पांच दिसंबर सं जन संसद केर बैनर तर समाहरणालय के निकट आमरण अनशन पर बैसल 500 सं अधिक भूमिहीन बृहस्पति दिन जिलाधिकारी स भेंट करबाक प्रयास क छल। आक्रोशित लोक उत्तरी गेट के तोड़ि कय प्रवेश कय गेल। सुरक्षाकर्मी लोक के रोकबाक लेल पहुंचल, परंतु भीड़ सुरक्षाकर्मी के खदेड़ देलक।

    सूचना पर बहुतो थानाक पुलिस मौका पर पहुँचल  आ आंदोलनकारी के दौड़ा-दौड़ाकय पीटय लागल। दुनू दिस सं जमि कय रोड़ेबाजी होबय लगल, जाहि मे बहुतो आंदोलनकारी समेत एडीएम, एसडीओ, आइसीडीएस, डीपीओ, तिलकामांझी थानाध्यक्ष सहित दू दर्जन सुरक्षाकर्मी  घायल भय गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here