व्यापमं घोटाला मे बिहारक 5500 विद्यार्थीक तलाश, मुजफ्फरपुर के एसकेएमसीएच सं जुड़ल तार

    0
    270

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मध्य प्रदेशक व्यापमं (व्यावसायिक परीक्षा मंडल) घोटालाक तार मुजफ्फरपुर के श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज अस्पताल (एसकेएमसीएच) समेत बिहारक सब मेडिकल कॉलेज स जुड़ैत नजरि आबि रहल अछि। अहि घोटालाक सिलसिला मे सीबीआइ एसकेएमसीएच के 103 सहित बिहारक करीब 5500 विद्यार्थीक तलाश कय रहल अछि।

    सीबीआइ अहि कड़ी मे एसकेएमसीएच के प्राचार्य डॉ. विकास कुमार के 103 मेडिकल स्टूडेंट्सक तस्वीर, हस्ताक्षर तथा अंगूठा के निशान पठेलक अछि। सीबीआइ के अंदेशा अछि जे, सब मध्य प्रदेशक मेडिकल प्रवेश परीक्षा (पीएमटी) मे दोसर के जगह शामिल भेल छल।

    सीबीआइ प्राचार्य स जानकारी मांगलक अछि जे, कि ई स्टूडेंट्स एखनहु एसकेएमसीएच मे पढ़ाई कय रहल अछि। यदि पूर्व मे एतय के स्टूडेंट रहल हों त जानकारी भेजल जाए। अहि के अलावा सबहक तस्वीर मेडिकल कॉलेज व अस्पताल के नोटिस बोर्ड पर चिपकाओल जाए, ताकि अन्य चिकित्सक व कर्मी पहचान कय जानकारी दय सकय।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here