भागलपुर मे 11वां सुर-नृत्य महोत्सवक शुरुआत आय सं

    0
    173
    भागलपुर, मिथिला मिरर: 11वां भागलपुर महोत्सवक आगाज बुधदिन स सैंडिस कंपाउंड मे होबय जा रहल अछि। बुधदिन स शुरू होबय वला भागलपुर महोत्सव के मंच पर सुर-नृत्यक संग्राम होयत, त लोकगीतक बारिश मे श्रोता के डुबकी लगेताह। अहि दौरान आकर्षक परिधान स सजल प्रतिभा रैंप पर कैटवॉक करैत अप्पन जलवा देखेताह।
    भागलपुर महोत्सव मे एक दिस जतय शहरक प्रतिभा अप्पन गायिकी, नृत्य तथा अन्य अदा स दर्शकक वाहवाही व निर्णायक स अंक हासिल करताह, ओतहि परदेशी-परदेशी जाना नहीं फेम गायिका सपना मुखर्जी, भागलपुरक बेटी स्वस्ति नित्या समेत कई राष्ट्रीय कलाकार महोत्सव मे शामिल हेतीह।
    महोत्सव के संयाेजक नरेश साह तथा कार्यालय प्रभारी दीपक गुप्ता के अनुसार बुधदिन दुपहर 12 बजे मंडप पूजन, तीन बजे स उद्घाटन समारोह, पांच बजे स सांस्कृतिक कार्यक्रम तथा छह बजे स हिंदी लघु नाटकक मंचन होयत।
    फोटो-काल्पनिक

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here