दरभंगा मे निगम सफाई कर्मी सं काज 30 दिनक भुगतान 26 दिनक

    0
    206
    दरभंगा, मिथिला मिरर: वार्ड सं डोर-टू-डोर कचरा उठेबाक लेल संविदा पर बहाल सफाई कर्मी सं नगर निगम 30 दिन काज लैत अछि परंतु भुगतान 26 दिनक करैत अछि। डोर-टू-डोर कचरा उठेबाक लेल निगम संविदा पर फरवरी मे सफाई कर्मी नियुक्ति केने छल।
    अहि कर्मी सं डोर-टू-डोर कचरा उठेबाक अलावा नालाक सफाई, शादी विवाह मे पसरल गंदगी उठाओल जाइत अछि। पर्व-त्योहार मे छुट्टी नहि देल जाइत अछि। काज पूरा महिना लेल जाइत अछि आ मजदूरी मात्र 26 दिनक भेटैत अछि। कोनो कारण स काज पर नहि एला पर वेतन काटल जाइत अछि।
    माह 31 के भेला पर 4820 रुपैया आ 30 के भेल पर 4610 रुपैया नगद भेटैत अछि। ओतहि निगम के सफाई कर्मी के 6500 रुपैया खाता मे भुगतान कायल जाइत अछि। कर्मी के कहब अछि जे, पटना नगर निगम मे बहाल सफाई कर्मी के मजदूरी एतय सं बेहतर अछि। संगहि ओतय मजदूरी खाता मे देल जाइत अछि।
    फोटो-काल्पनिक

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here