जयललिता के निधन पर बिहार मे एक दिनक राजकीय शोक घोषित

    0
    223

    पटना, मिथिला मिरर: तमिलनाडु के मुख्यमंत्री जे. जयललिता के निधन पर बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दुख जतेलनि। नीतीश कुमार ट्वीट कय कहलनि जे, तमिलनाडुक मुख्यमंत्री जयललिता जी के निधन दुखद अछि। ईश्वर हुनकर आत्मा के शांति देथि। ओ कहलनि जे, अहि दुखद घडी मे बिहार मे एक दिनक राजकीय शोक घोषित कायल जा रहल अछि।

    ज्ञात हो कि तमिलनाडु के मुख्यमंत्री आ एआइडीएमके प्रमुख जे. जयललिता के सोमदिन राति साढ़े 11 बजे चेन्नई के अपोलो अस्पताल मे निधन भय गेलनि। जयललिता 68 सालक छली आ छह बेर तमिलनाडुक मुख्यमंत्री रहल छली।

    सांस मे तकलीफ आ फेफड़ा मे तकलीफक कारने हुनका 22 सितंबर क अपोलो हॉस्पिटल मे भरती कराओल गेल छल। जयललिता लगभग 75 दिन स अस्पताल मे भरती छली आ विशेषज्ञ डॉक्टर के देखरेख मे इलाज चलि रहल छल।

    जयललिता के निधन पर बिहार मे एक दिनक राजकीय शोक के घोषणा कायल गेल अछि। ओतहि दोसर दिस राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव ट्वीट कय जयललिता के निधन पर शोक जतेलनि। लालू लिखलनि  जे, देश के हुनका एहेन गरीबक हक के लेल लड़य वाली मजबूत नेताक कमी खलत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here