मधुबनी मे आगि लगला सं पांच गोट घर जरिकय राख

    0
    231

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक हरलाखी प्रखंड अंतर्गत साहरघाट थाना के पहिपुरा गाम मे अचानक आगि लगला सं पांच गोट घर जरि कय राख भय गेल। जानकारी के अनुसार बताओल जा रहल अछि जे, पहिपुरा गाम निवासी राजेंद्र मुखिया के घर मे सोमदिन दुपहर मे अचानक आगि लागि गेल। जाहि सं घर मे राखल सब समान जरि कय खाक भय गेल।

    ग्रामीणक सहयोग सं बाद मे आगि पर काबु पाओल गेल। हालांकी सूचना भेटला पर किछु काल मे साहरघाट थाना तथा फायर बिग्रेड मौका पर पहुंच गेल। अहि अगलगी के घटना मे 3 टा साईकिल, एक टा दमकल, 3 टा फर्नीचर चारपाई, 20 क्विंटल अनाज तथा 5 हजार नगद समेत अन्य समान जरि कय खाक भय गेल।

    उक्त जानकारी दैत पंचायतक मुखिया देवेंद्र यादव प्रशासन स पीड़ीत परिवार के उचित मुआवजा देबाक आग्रह केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here