18 साल बाद पटना मे बीसीसीआई करा रहल अछि मैच, प्रवेश निशुल्क

    0
    327

    पटना, मिथिला मिरर: बहुत दिन बाद बिहारक राजधानी पटना मे भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड अप्पन निगरानी मे मैच करबाबय जा रहल अछि। लगभग 18 साल बाद पटना के एतिहासिक मोइनुल हक स्टेडियम मे बीसीसीआई के निगरानी मे मैच खेलल जायत। मैच चारि दिवसीय होयत जे अंडर-19 कूच विहार ट्रॉफीक मैच अछि। ई मैच सोमदिन सं खेलल जायत।

    ज्ञात हो कि 1998 के बाद स एखन धरि पटना मे बीसीसीआई’क निगरानी मे एकहु टा मैच नहि आयोजित भेल अछि। जहन कि कूच विहार ट्रॉफी’क मैच 39 साल पहिने भेल छल। कूच विहार ट्रॉफी के ई मैच देखबाक लेल दर्शक के कोनो टिकट नहि लेबय पड़त। बीसीए के अधिकारी कहलनि जे, मैच देखबाक लेल दर्शक के शुल्क नहि लागत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here