दरभंगाक आरबी मेमोरियल पुरान नोट देला पर जब्त केलक लहास

    0
    208

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक निजी नर्सिंग होम आर.बी मेमोरियल मे बुधदिन राति इलियास (45) के मौत भय गेल। लहास के लय जेबाक लेल काउंटर पर परिजन राशि जमा करेबाक लेल गेल। एक लाख रुपैया जमा भय गेल, मुदा शेष 13 हजार रुपैया 1000 आ 500 के पुरान नोट मे छल। जाहि कारने नर्सिंग होम प्रशासन लहास के जब्त कय लेलक।

    परिजन के गुहारक बादो नर्सिंग होम प्रबंधन नहि मानलक। हारि क परिजन बृहस्पति दिन एसडीपीओ दिलनवाज अहमद के आपबीती सुनेलक। एसडीपीओ के हस्तक्षेपक बाद परिजन के लहास देल गेल। मधुबनी जिलाक लौकहा गामक निवासी अब्दुस सकूरक बेटा इलियास के 24 नवंबर क आरबी मेमोरियल मे भर्ती कराओल गेल छल।

    आरबी मेमोरियल के डॉ राजीव कुमार के अनुसार निजी अस्पताल मे पुरान नोट नहि लेबाक सरकारक आदेश पहिने आबि गेल अछि। बावजूद अंतिम बिल चुकता के समय मरीज पुराना नोट जमा करबाक लेल काही रहल छल। नोट नहि देला पर लहास के जब्त नहि कायल गेल छल, सिर्फ पुरान नोटक जगह नव नोट काउंटर पर जमा करेबाक बात कहल गेल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here