भागलपुर मे दरोगा’क घर डाका

    0
    289

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर जिला के आदमपुर थाना क्षेत्र सं बृहस्पति दिन राति चोर एकटा दरोगाक घर सं लाखो रुपैयाक संपत्ति चोरा लेलक। पुलिस सूत्रक अनुसार शहरक आदमपुर मोहल्ला निवासी दरोगा सुबोध सिंह राति मे एकटा विवाह समारोह मे शामिल हेबाक लेल परिजनक संग गेल छलाह।

    राति मे चोर घर के दरबज्जा मे लागल ताला के तोड़ि नगद, जेवरात आ कीमती सामान चोरा लय गेल। दरोगा सुबोध नौगछिया पुलिस अधीक्षक कार्यालय मे पदस्थापित छथि। अहि सिलसिला मे संबंधित थाना मे अज्ञात चोरक खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। पुलिस मामलाक छानबीन कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here