पढ़ाईक संग खेल-कूद मे सेहो शामिल हो युवावर्ग : मधुबनी जिलाधिकरी

    0
    233

    मधुबनी, मिथिला मिरर-निशांत झा: मधुबनी के वाट्सन उच्च विद्यालय के आडिटोरियम मे मंगलदिन एक दिवसीय जिला युवा महोत्सव मनाओल गेल। युवा महोत्सवक उदघाटन जिला पदाधिकारी गिरिवर दयाल सिंह दीप प्रज्वलित कय केलनि। अहि मौक़ा पर ओ कहलनि जे, युवा के पढाईक संग-संग खेलकूद, संगीत, नृत्य एवं अन्य विद्दा मे सेहो अभिरूचि रखबाक चाही।अहि सं छात्र-छात्राक प्रतिभाक विकास होईत अछि।

    ओ कहलनि जे, युवा अप्पन सांस्कृतिक धरोहरक रक्षाक लेल लोक गीत, लोक गाथा, सुगम संगीत, शास्त्रीय नृत्य सीखि कय जिला, राज्य एवं देशक नाम उज्वल करथि। जिलाध्यक्ष महोत्सव मे भाग लेबय वला कलाकारक उज्वल भविष्यक कामना केलनि। भगवती बंदना सं कार्यक्रमक शुरूआत शिवगंगा बालिका उच्च विद्यालयक शिक्षिका मधु कुमारी द्वारा कायल गेल।

    कार्यक्रम मे 15 स 35 वर्षक प्रतिभागी भाग लेने छलाह। कार्यक्रम मे शास्त्री गायन, वादन, समुह लोक गीत, शास्त्रीय नृत्य, समूह लोक नृत्य, चाक्षुष कला वक्तृता, एकांकी नाट मे कलाकार अप्पन-अप्पन विद्याक प्रदर्शन केलनि। युवा महोत्सव में वरीय उपसमाहर्ता डीएन झा, वरीय उपसमाहर्ता नरेश झा, पंकज कुमार गुपता, विनोद कुमार, उपनिर्वाचन पदाधिकारी विनोद कुमार, सूचना पदाधिकारी मुकेश कुमार झा, डीपीआरओ जयशंकर प्रसाद सहित बहुतो गणमान्य उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here