समस्तीपुर मे टीवी देखबाक लेल गेल किशोरक गोली मारि कय हत्या

    0
    183

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर जिलाक विभूतिपुर थाना क्षेत्रक एकडारा गाम मे अपराधी  एकटा किशोरक गोली मारि कय हत्या क देलक। घटना के बाद लहास के बोन मे फेंक देलक। मृतकक पहिचान गामक सुधीर पासवान के 14 वर्षीय पुत्र संजय पासवान के रूप मे कायल गेल अछि। भोर मे शौच करबाक लेल गेल ग्रामीण लहास के देखि क पुलिस के सूचना देलक। पुलिस लहास के जब्त कय पोस्टमार्टम के लेल सदर अस्पताल पठा देलक। पुलिस घटनास्थल सं एकटा देसी कट्टा सेहो बरामद केलक अछि।

    एम्हर, घटनाक सूचना क्षेत्र मे आगि जकां आग कीपसरि गेल। घटनास्थल पर लोकक खूब जुटान भय गेल। बताओल जा रहल अछि जे, संजय अप्पन पिताक संग राजमिस्त्रीक काज करैत छल। ओ राति मे टीवी देखबाक लेल बगल के घर मे गेल छल।

    ग्रामीणक कहब अछि जे, राति करीब 12 बजे टीवी बंद कय देल गेल। टीवी देखि रहल आसपासक बच्चा अप्पन घर चल गेल, मुदा संजय घर नहि पहुँचल। सूत्रक अनुसार संजय के पेट मे गोली मारल गेल अछि। मानल जा रहल अछि जे, हत्या के आत्महत्या बतेबाक उद्देश्य स लहाशक समीप पिस्तौल राखल गेल छल। थानाध्यक्ष संजीत कुमार कहलनि जे, मामलाक जांच कायल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here