मधुबनी मे जमीन मे गाड़ल शराबक 6500 बोतल बरामद

    0
    219
    मधुबनी, मिथिला मिरर: गुप्त सूचनाक आधार पर पंडौल थाना क्षेत्रक बेलाही गाम के एकटा खाली घर मे जमीनक नीचाँ सं भारी मात्रा मे शराब बरामद कायल गेल अछि। जानकारी के अनुसार पुलिस के बेलाही गाम मे भारी मात्रा मे शराब हेबाक सूचना भेटल।
    डीएसपी कुमार इंद्र प्रकाश के नेतृत्व मे पुलिस बेलाही के विपिन ठाकुर तथा निरसू ठाकुर के घर मे छापेमारी केलक। पहिने त पुलिस घरक तलाशी ललक, परंतु घर में शराब नहि भेटल। अहि दौरान घर मे जमीनक नीचाँ शराब हेबाक संदेह पर पुलिस जहन खुदाई केलक त शराबक हजारो बोतल भेटल।
    पुलिस अहि दौरान विदेश शराबक करीब 6500 बोतल जमीन स निकालल। अहि के मात्रा 15 सौ लीटर तक बताओल जा रहल अछि। जहन कि बहुतो जगह पर खुदाई’क काज चलि रहल छल। जमीनक नीचाँ स एक संग एतेक भारी मात्रा मे शराब भेटला सं लोक आश्चर्यचकित अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here