छात्रावासक लेल मुजफ्फरपुर पॉलिटेक्निक के छात्र केलक हंगामा

    0
    181

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर मे राजकीय पॉलिटेक्निक कॉलेजक छात्र जमि कय हंगामा केलक अछि। छात्र छात्रावासक आवंटन नहि करबाक विरोध मे कॉलेजक मुख्य द्वार पर प्रदर्शन केलक। कॉलेजक मुख्य द्वार के जाम कय उत्तेजित छात्र काफी देर धरि प्रदर्शन आ नारेबाजी केलक।

    हंगामा कय रहल छात्रक आरोप छल जे, छात्रावास मे गैर-कानूनी तौर पर कॉलेज के शिक्षक आ कर्मचारी सालो स कब्जा जमौने अछि, जहन कि दूर-दराज स पढ़य लेल आबय वला छात्रक किराया पर घर लय क पढ़ाई करैत अछि।

    पॉलिटेक्निक कॉलेजक छात्र के पिछला 20 साल स छात्रावास आवंटन नहि कायल गेल अछि। छात्र कॉलेज के प्राचार्य पर छात्रावास आवंटन करबाक मांग पर कार्रवाई करय के धमकी देबाक आरोप लगेलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here