समस्तीपुर मे मॉर्निंग वॉक कय रहल व्यवसायी के अपराधी मारलक गोली

    0
    194

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे अपराधी एक बेर फेर बेलगाम भय गेल अछि। शुक्रदिनक भोर मे समस्तीपुर मे अपराधी मॉर्निंग वॉक पर गेल एकटा व्यवसायी के निशाना बनबैत गोली मारि देलक। घटना पूसा थानाक गढ़ीया चौकक अछि, जतय मोटरसाइकिल सवार अपराधी भोर मे अहि घटना के अंजाम देलक। घायल युवक मोटर व्यवसायी बताओल जा रहल अछि। गोली लगला सं जख्मी भेल व्यवसायी के सदर अस्पताल के इमरजेंसी वार्ड मे भर्ती करोल गेल अछि।

    जख्मी व्यवसायीक नाम कृष्ण कुमार उर्फ़ बबलू पोद्दार अछि जे, पूसा थानाक हरपुर पूसा के रहय वला बताओल गेल अछि। वारदातक सूचना पर सदर डीएसपी मोहम्मद तनवीर अहमद सदर अस्पताल पहुंच कय मामलाक जायजा लेलनि।

    जख्मी व्यवसायी पुलिस के कहलनि जे, ओ अप्पन दोस्त वीरेंद्र महतो आ सुनील ठाकुर के संग मॉर्निंग वॉक कय रहल छल ताहि दौरान गढ़िया चौक विशनपुर के बीच डुगछीया के समीप मोटरसाइकिल सवार दू टा अपराधी आबि कय गोली चला देलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here