डीएमसीएच के छात्रा अप्पन कैंपस मे असुरक्षित

    0
    450

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के डीएमसीएच परिसर के रस्ता खास छल, मुदा आब ई आम भय गेल अछि। तकर नतीजा सामने अछि। आये दिन दुर्घटना, हंगामा, छेड़खानी आदि एतय आम बात भय गेल अछि। एम्हर 21 नवंबर क एकटा छात्रक संग भेल छेड़खानी प्रशासनक नींद उड़ा देलक अछि। छात्र-छात्रा अहि के विरोध मे कर्पूरी चौक के जाम कय देलक। दू-तीन दिन मे बहुतो मोटरसाइकिल सवारक परिसर मे पिटाई कायल गेल। एहेन घटना पर रोकक लेल एतय बहुतो तंत्र अछि, परंतु वर्तमान मे सबटा फेल अछि। छात्रा अप्पन कैंपस मे असुरक्षित महसूस कय रहलीह।

    डीएमसीएच के परिसरक सुरक्षाक लेल 150 गार्डक तैनाती कायल गेल अछि। महिला छात्रावास हो या वार्ड सब ठाम गार्डक तैनाती रहैत अछि। ओना किछु वार्ड के छोड़ि कय अधिकांशक गेट पर गार्ड नदारद रहैत अछि।

    महिला छात्रावासक नजारा ई अछि जे, गार्ड गेट पर नहि सड़कक कात कुर्सी पर बैसल रहैत अछि, आ गेट खुजल रहैत अछि। पुरुषक आबाजाही मे सेहो छूट रहैत अछि। एकटा छात्रा के संग कथित घटना के 24 घंटक बादो गार्ड सतर्क नहि अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here