माले’क दलित अत्याचार के विरूद्ध जिला व्यापी प्रतिवाद मार्च

    0
    206

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: लहेरियासराय के कोर्थू गामक भूदान पर्चाधारी दलित पर भेल अत्याचारक खिलाफ भाकपा माले जिला व्यापी प्रतिवाद मार्च निकालबाक फैसला केलक अछि। पार्टीक जिला सचिव वैद्यनाथ यादव एवं खेग्रामस परदेश उपाध्यक्ष, लक्ष्मी पासवान संवाददाता सम्मेलन मे कहलनि जे, छ: महिना सं दलित गरीबक बेदखली के खिलाफ आंदोलन चलाओल जा रहलअछि। मुदा प्रशासन असंवेदनशील बनल बैसल अछि।

    ओ कहलनि जे, जिला मे सैकड़ों जगह पर पर्चाधारी के बेदखल कायल गेल अछि। ओ जिलाधिकारी स मांग केलनि जे, कोर्थू पंचायतक भूदान तटबंधी आ गैर मजरूआ जमीन के तत्काल सर्वे कय दलित गरीब मे बाँटि देल जाए। संवाददाता सम्मेलन मे आर. के. सहनी, कल्याण भारती, रोहित सिंह, मो. जमालुद्दीन, अभिषेख कुमार आदि उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here