राजनगर के बड़हारा मे एक संग तीन घर मे डकैती

    0
    237

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के राजनगर थाना क्षेत्रक बड़हारा गाम मे मंगलदिन राति एक संग तीन गोट घर मे अपराधी डाका देलक। अहि दौरान अपराधी जमिकय लूटपाट केलक। करीब 15 हजार नगदी सहित 10 लाख स अधिक के जेवरात तथा अन्य कीमती सामान लूटि लेलक। ओतहि, विरोध करबा पर 70 वर्षीय महिला के चाकू स घायल कय देलक। सूत्रक अनुसार अपराधी तीन गोट घर मे डाका देलाक बाद चारिम घर पहुँचल, तखनहि ग्रामीण के लूटपाटक जानकारी भेटल जकरा बाद अपराधी भागि गेल।

    जानकारी के अनुसार, राति करीब 12 बजे करीब एक दर्जनक संख्या मे आयल अपराधी एक संग अवकाश प्राप्त अधिकारी स्व. प्रबोध मिश्र, अमरेश मिश्र, लाल झा तथा दुर्गाकांतक घर पर डाका देलक। सब सं पहिने अपराधी प्रबोध मिश्रक घर मे डाका देलक। जतय महिला जमुना देवी के चक्कू सं घायल कय देलक। अहि घर सं अपराधी नकद 15 हजार सहित सोनाक जेवरात लूटलक।

    अहि के बाद अपराधी अमरेश मिश्रक घर पर डाका देलक। अहि तरहे अमरेश झा तथा लाल झा के घर स नकदी तथा जेवरात लूटलक। अहि के बाद अपराधी दुर्गाकांत झा के घरक ताला तोड़बाक प्रयास केलक। मुदा ताला नहि टूटल। अहि बीच दुर्गाकांत हल्ला कय देलनि। स्थानीय लोकक जुटान देखि अपराधी भागि गेल।

    घटनाक जानकारी थाना पुलिस के देल गेल अछि। थानाध्यक्ष संजय कुमार पुलिस बलक संग मौक़ा पर पहुंच गेल छलाह। राजनगर थाना पुलिस अहि घटनाक जानकारी अधिकारी के दय देलक अछि। बुधदिन भोर मे सदर डीएसपी कुमार इंद्रप्रकाश बरहारा गाम पहुं कय मामलाक जांच केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here