मुजफ्फरपुर के ‘एसकेएमसीएच’ मे मानव कंकालक अवैध व्यापार के भंडाफोड़

    0
    231

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार के मुजफ्फरपुर जिला स्थित श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज एवं अस्पताल मे एकटा मीडिया स्टिंग ऑपरेशन मे खुलासा भेल अछि जे, अज्ञात लोकक बिना अंतिम संस्कार केने लहासक कंकाल के अवैध व्यापारक कायल जाइत अछि। एसकेएमसीएच मे अज्ञात लोकक बिना अंतिम संस्कार के लहासक कंकालक अवैध व्यापार पर अस्पताल प्रबंधन किछु बजबा सं मना कय देलक अछि। परंतु मीडिया मे अहि बातक भंडाफोड़ होबय पर मुजफ्फरपुर के सिविल सर्जन ललित सिंह एकरा संगीन मामला बतेलानी अछि आ कहलनि जे अहि बातक जाँच होबय के चाही।

    मीडिया स्टिंग आपरेशन मे देखाओल गेल कि शवगृह मे काज करय वला निजी सफाई कर्मचारी प्रत्येक मानव कंकाल के अवैध रूप सं 8000 रुपैया मे मे बेच दैत अछि। ओना अज्ञात लहासक जकर अंतिम संस्कार नहि कायल गेल हो ओहि शरीर स मांस पेशी आ चमडा हटाकय अवैध व्यापारक लेल संरक्षित राखल जाइत छल।

    अहि स्टिंग आपरेशन मे शामिल सदस्य मानव कंकालक अवैध व्यापार करय वला एकटा एहेन व्यक्ति स संपर्क केलक आ काफी मोल-जोलक बाद तीन कंकाल 20 हजार रुपैया मे उपलब्ध करेबाक सौदा तय भेल। अहि सौदेक अग्रिम राशि प्राप्त करबाक बाद एकटा कंकाल जकरा अस्पताल के पोस्टमार्टम रूमक सामने एकटा शौचालय के छत पर राखल गेल छल, ओ देखाओल गेल।

    जे सब ई सौदा केने छलाह ओ कंकाल ओहि समय नहि लय बाद मे रुपैया लय क एबाक बात कहि क चलि गएलाह। जाहि के बाद हुनका सब के बहुतो फोन कॉल आयल की ओ बांकी 19,500 राशि देय कय तीनू कंकाल लय जाय।

    एसकेएमसीएच मे अज्ञात लहासक अंतिम संस्कारक लेल एकटा कमिटी गठित कायल गेल अछि, परंतु स्टिंग आपरेशन मे देखाओल गेल अछि जे, रजिस्टर पर एहेन लहासक अंतिम संस्कार के गलत तरीका सं दर्शाओल गेल। प्रावधान के अनुसार अज्ञात लहासक अंतिम संस्कार के समय एकटा पुलिसकर्मी के उपस्थिति अनिवार्य अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here