कानपुर ट्रेेन हादसा: बिहारक 31 गोटेक गेल प्राण, सरकार जारी केलक लिस्ट

    0
    282

    पटना, मिथिला मिरर: कानपुर के समीप इंदौर-पटना एक्सप्रेस हादसा मे एखन धरि बिहारक 31 गोट यात्री के मौतक सूचनाक पुष्टि भय चुकल अछि। बिहार सरकार सोमदिन साँझ मे बिहारक मरय वला लोकक लिस्ट जारी केलक अछि। घटना मे सीवानक एकही परिवारक तीन गोटेक मौत भय गेल, जाहि मे मां आ दू टा बेटी शामिल अछि।

    अहि बीच मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सब मृतकक परिजन के 2-2 लाख रुपैयाक मुआवजा देबाक एलान केलनि। संगहि घायल के 50 हजार रुपैया देबाक घोषणा केलनि। केंद्र आ रेलवे सेहो परिजन के मुआवजा देबाक एलान केलक अछि।

    मरय वला यात्रिक सूचि अहि प्रकार अछि। रत्निका सिंह, शांति सिंह, श्रेया सिंह, मजीद अहमद, अनिल किशोर, रजत कुमार, नरेंद्र कुमार सिन्हा, भगवान सिंह, ब्रहानंद प्रसाद, शिव कुमार यादव, राम कुमार शर्मा, मोहम्मद वारिक, हातिम अली, मोहम्मद अनवारूल, अशफाक आलम, मोहम्मद सनवर, कोमल सिंह, ललिता देवी, भुनेश्वर सिंह, प्रेमलता देवी, बालदेव प्रसाद, कमला देवी, रमाकांत तिवारी, जीवतेश, तारकेश्वर मेहता, मनोज साह, विजय पण्डित, शकुंतला देवी, कुमकुम देवी, टी एन सिन्हा आ राधिका देवी।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here